मनिष कुमार मण्डल
जनकपुरधाम / ओमनमे जारी आईसीसी टी–२० विश्वकप एसिया–इस्ट एसिया प्यासिफिक छनोट प्रतियोगितामे नेपाल समूह ‘बी’क विजेता बनिकऽ सुपर–६ चरणमे प्रवेश कएने अछि ।

शुक्रबार भेल खेलमे नेपाल जापानके ५ विकेटसँ पराजित कए समूह ‘बी’क शीर्ष स्थान हासिल कएलक। जापानद्वारा प्रदान कएल १३२ रनक लक्ष्य नेपाल १८ ओभरमे पाँच विकेट गुमबैत पूरा कएने अछि ।

नेपालक जीतमे ओपनर आसिफ शेखक सर्वाधिक ३८ रनक योगदान रहल। कुशल भुर्तेल २१ रन, कप्तान रोहित पौडेल १८ रन, सन्दीप जोरा ५ रन आ कुशल मल्ल ४ रन बनाकऽ आउट भेलाह। अन्तिममे दीपेन्द्रसिंह ऐरी १४ रन आ गुल्सन झा २८ रनसँ अविजित रहलाह ।

जापानक बलिङमे शोमा स्लेटर सर्वाधिक दुई विकेट लेलक ।
टस हारिकऽ पहिने ब्याटिङ करैत जापान निर्धारित २० ओभरमे आठ विकेटक नुकसान पर १३१ रन मात्र बना सकल। कप्तान केन्डेल काडोवाकी–फ्लेमिङ ४६ बलमे ६० रन बनौलाह, जखनकि इसम रहमान २५ बलमे ३१ रन जोड़लाह ।
दुनू मिलिकऽ दोसरा विकेट पर ८६ रनक साझेदारी कएल गेल। तथापि, मध्यक्रमक बल्लेबाज चल नहि सकल आ स्कोर १३१ रनपर सिमटि गेल ।

नेपालक बलिङमे गुल्सन झा आ सन्दीप लामिछाने दू–दू विकेट, जबकि सोमपाल कामी आ झा एक–एक विकेट प्राप्त कएलाह ।

एहि जीतसँ नेपाल समूह ‘बी’क विजेता बनिकऽ प्रतियोगिताक सुपर–६ चरणमे प्रवेश कएने अछि ।

 

प्रतिक्रिया

सम्बन्धित खवर

ताजा समाचार

लोकप्रिय